!! भादव मन भरिआयल !!

☘️🌷☘️🌷☘️🌷☘️🌷☘️
*************************
साओनके सुख नहिए भेटल,
भादव मन भरिआयल !
आब करु हुनकर कि आशा,
एखन धरि नइ आयल !!
एखन धरि नइ आयल,
देलक नइ कोनो समाधो !
मनमे छल किछु बात,
कैल सबकिछु बर्वादो !!
दुखो दर्द नइ बुझल काशी,
मुँह हमर करिआयल !
सुखक आशमे बाँचल छलौ,
दुखे दुख चलिआयल !!
~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~
🍀🐠🍀🐠🍀🐠🍀🐠🍀🐠🍀🐠🍀
~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~
साहित्यकारः काशिकान्त झा (रसिक)

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *